सुनील कुमार झा केर किछु कहमुकरी

लोक काव्य केर चर्चित विधामेसँ एक कहमुकरी, भले हिन्दी भाषा -भाषी लेल बहुत पुरान विधा छैक परन्तु मैथिलि लेल ई एखनो नवे जेकाँ छैक. कहमुकरी अर्थात कहिकेँ मुकरि जेनाइ.  कहमुकरी दू सखीक बीचक हास -परिहासपूर्ण वार्ता पर आधारित विधा छैक. आरंभमे अधिकांश कहमुकरी प्रेम आधारित होइत छलैक बादमे एकर क्षेत्रक विस्तार सेहो गजले जेकाँ भेलैक आ राजनीति ,विज्ञानं सन -सन आधुनिक आ समकालीन विषय पर सेहो कहमुकरी लिखल जाय लगलै . ई -मिथिला पर गुंजनश्री केर कहमुकरी’क बाद सुनील कुमार झा केर किछु नव कहमुकरी देल जा रहल अछि, जेकर केंद्रमें मुख्य मंत्री बिहार नितीश कुमार छथि ,  पढ़िकेँ बताउ – मॉडरेटर

        (1)

गोदी बैठ निभेलथि यारी 

जंगलराजक करू तैयारी 

कोना हेतय आब नैया पार 

ए सखि लालू ? ना नीतीश कुमार ।

           (2)

सर्वे कए फुसि बतलाबे 

खाली अपने अपने चलाबे 

कहैत छथि सबके छी ईश 

ए सखि‍ टीवी? ना नीतीश ।

               (3)

विशेष राज्यक गाबय राग 

जनताक दबा देलक आवाज 

कहता अपनाकेँ  मठाधीश 

ए सखि बिहार? ना सखि‍ नीतीश !! 

                (4 )  

परवीन संगे गेलय पीटर 

बीजेपी की चलल छै हीटर 

आर बना तू मठाधीश 

ए सखि‍ नेता ? ना सखि नीतीश 

                (5)

 जदयू मे जखन गलल नहि दालि 

तब ओ चलल ‘आप’ कए चालि 

जदयू कए तँ  बाजि गेल बीन 

 ए सखि वोटर ? ना परवीन !! 

              (6 )

 पोटा पर करि देने छल चोट 

अछि हुनकर नीयतमे खोट 

राजनीतिमे बेसी बीस 

 ए सखि‍ राजद ? ना नीतीश !!

संपर्क 

सुनील कुमार झा 

मोबाईल : 08084566672

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *