मैथिली कथा अंतर्व्यथा


दुनू कात छोट-बड़ घरक देबाल सँ घेरायल बेस दू हाथ चौड़गर गली सँ ओ आदमी जोर-जोर सँ हंफैत पूरा जी-जान लगौने भागल जा रहल छैक. पाछाँ सँ भरि जांघक एकटा बताह करिया कुकुर ओकरा खेहारने जा रहल छैक. ओ बेर-बेर पाछाँ घूमि कतकैत छैक. कुकुर एकदम सँ ओकरा लग आबि गेल छैक, जेना आब झपटि लेतैक ओकरा… आ अगिले पल मुँह फोलने ओ करिया कुकुर ओकरा देह पर छरपि जाइत छैक…


भक्क सँ ओकर नीन्न फूजैत छैक. देह थर-थरा रहल छैक… अंग-अंग पसेना सँ भीजल छैक… सौंसे देहक रोइयां ठाढ़ भगेल छैक… प्यासे कण्ठ सूखि रहल छैक. ओकर ध्यान पलंगक दोसर कात सूतल अपन पत्नी पर जाइत छैक, जे कि आस्ते- आस्ते फोंफ काटि रहल छैक. बाप रौ बाप… तँ ई सपना रहैक, भगवती ककरो संग एना नहि करथुन…ओ सोचैत छैक. आंगुर पर गानि-गानि केँ गायत्री मंत्र पढ़ैत छैक.

ओकर माथ से भारी भगेल छैक. ओ उठैत छैक, टेबुल पर राखल जग मे सँ गिलास मे पानि ढ़ाढ़ि पानि पीबैत छैक. तखन ओ खिड़की फोलि लैत अछि आ ओहि ठाम ठाढ़ भखिड़की सँ बाहर ताकलागैत छैक.


बाहर गुज्ज अन्हार रहैक. ओहि अन्हरिया मे ओकरा गाछ- बिरीछक डेराउन आकृति आ टिनही एसबेस्ट सँ छारल मालक घर देखेलैक. माल घरक उपरूका पिरछौन अकास केँ करिया मेघ झंपने जा रहल छैक. चहुँदिस चुप्पी पसरल रहैक, सब किछु अन्हरिया मे डूबल रहैक. बीच-बीच मे कखनो-काल कुकुर भूंकबाक स्वर अबैत रहै, जाहि स्वर केँ सुनि डरे ओकर देह भूलकि जाइत रहै.


ओ बिछाओन पर चलि जाइत छैक. ओकरा नीन्न नहि होइत छैक. ओ करौट-पर-करौट फेरैत छैक… खन पीठ बले तँ खन पेट बले सुतबाक उपक्रम करैत छैक…ओकरा नीन्न तैयो नहि होइत छैक, जेना ओकरा सँ नीन्न रूसि गेल होय.

ओ उठि केँ बत्ती जरबैत छैक. कोनो पोथी उनटा ओकरा पढ़बाक प्रयास करैत छैक. थोड़े काल धरि पढ़बो करैत छैक फेर ओकर मोन उचटि जाइत छैक. ओ पोथी सिरमा तर राखि क‘, आँखि मूनि पड़ि रहैत छैक.


मुदा ओकरा नीन्न कथी लए हेतैक. ओ आँखि फोलि देबाल पर टांगल घड़ी दिस तकैत छैक, रतुका तीन बाजि रहल छैक. ओ पलंगक दराज मे सँ गोल्डफ्लैक सिकरेट निकालि क‘, लेस लैत छैक. तकरा बाद अपन स्मार्टफोनक डेटा ऑन क‘, फेसबुक खोलैत छैक…नोटिफिकेशन चेक करैत छैक…स्टेटस अपडेट करैत छैक –


तलफै बिन बालम मोर जिया ।

दिन नहि चैन रात नहि निंदिया,

तलफ तलफ के भोर किया ।”


ओ फेर सँ सुतबाक उपक्रम करैत छैक. नीन्न अहू बेर नहि होइत छैक. ओ पलंगक दोसर कात सूतल पत्नी केँ जगबैत छैक, आ ओकरा अपन नीन्न नहि होयबाक सम्पूर्ण वृतान्त सुनबैत छैक. पत्नी फोन मे टाइम देखि क‘, हांफी करैत अलसायल भावे ओकरा बाहर सँ घूमि अयबाक लेल कहैत छैक. ओ घ रसँ बाहर चलि जाइत छैक आ ता धरि पार्क मे एम्ह रसँ ओम्हर आ ओम्हर सँ एम्हर करैत रहैत छैक जा धरि ओकर टांग नहि जवाब दैत छैक.


ओ आपस घर आबि जाइत छैक. बाथरूम मे पैसि कहाथ-मुँह धोइत छैक. अयना मे मुँह देखैत छैक. सौंसे मुँह कारी-स्याह भगेल रहैक. ओ अपने मुँह देखि अपने डेरा जाइत छैक… देहक रोइयां रोइयां ठाढ़ भजाइत छैक.

भिनसरूका छः बाजि गेल रहैक. ओ अपन बेडरूम जाइत छैक. बत्ती जरा दैत छैक, फेर पलंग दिस बढ़ि जाइत छैक आ भारी  आश्चर्य मे पड़ि जाइत छैक ! पलंगक एक कात देबाल दिस मुँह केने ओकर पत्नी सूतल रहैक आ दोसर कात ओ अपने…

~ बालमुकुन्द 

मूलतः दैनिक भास्कर मे प्रकाशित 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *