देसिल बयना’क मासिक बैसार मे प्रेमक टाइमलाइन केर स्थानीय विमोचन

हैदराबाद :  मैथिली साहित्यिक मंच देसिल बयनाक कल्हुका (१३/०३/२०१३) मासिक बैसार संस्था आ सदस्य लोकनिक लेल किछु विशिष्ट रहल. सदस्य कुमार सौरभक हेमनि मे विवाह भेलनिहें, नव-विवाहित दंपत्ति केँ संस्थाक दिस सँ पुष्पगुच्छ आ स्मृति-चिन्हक संग मंगलमय वैवाहिक जीवनक लेल शुभकामना देल गेल.

एकर अतिरिक्त, दस गोट युवा रचनाकारक समवेत प्रयासक रूप मे हालहि मे नवारंभद्वारा प्रकाशित भेल मैथिलीक पहिल लप्रेक संग्रह प्रेमक टाइमलाइनक स्थानीय विमोचन सेहो भेल. नवतुरिया सबहक समवेत प्रयासक प्रतिफल एहि पोथी मे दस गोट हस्ताक्षरक कथा संकलित अछि जाहि मे सँ दू टा लप्रेककारयथा विकाश झा आ शारदा झा संस्थाक सदस्य सेहो छथि, संस्था गौरवान्वित होइत एहि दुनू रचनाकार केँ पुष्पगुच्छ आ स्मृति-चिन्हक संग बधाइ आ भविष्य मे निरंतर उत्कृष्ट रचनात्मकताक लेल शुभकामना देलक. दुनू रचनाकार पोथी मे सँ किछु बीछल लप्रेकक पाठ सेहो कयलनि. 


प्रत्येक बैसार जकाँ एहि बैसार मे  सेहो सदस्य लोकनि अपन स्वरचित कविताक पाठ कयलनि. जाहि मे चंद्रमोहन कर्ण, मनोज शांडिल्य,शारदा झा, विकाश झा, अमर झा एवं शम्भुनाथ झा अपन-अपन कविताक पाठ कयलनि. एकरा अलावे अर्चनाजीक मधुर कंठ सँ फगुआ गीतक  गायन सेहो भेल. 

मैथिलीक वरिष्ठ साहित्य आ समाज सेविका श्रीमती अणिमा सिंहक निधन पर उपस्थित सदस्य लोकनि दू मिनटक मौन राखि अपन श्रद्धांजलि अर्पित कएलनि. 

कुल मिला कई बैसार अविस्मरणीय भगेल। देसिल बयनाक समस्त सदस्य लोकनि केँ एहि विलक्षण गोष्ठीक लेल कोटिशः बधाइ आ अध्यक्ष श्री चंद्रमोहन कर्ण जीकेँ विशेष रूप सँ अशेष धन्यवाद जे एहि बैसारक अद्भुत आयोजन अपन आवास पर कएलनि. 

रिपोर्ट : मनोज शांडिल्य 

नोट :- मैथिलीक एही पहिल लप्रेक संकलन प्रेमक टाइमलाइन sappymart  सं कीनल जा सकैछ. बेसी जानकारी लेल 09934666988 & 09334359514 पर संपर्क  करी.. 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *